१. मलपु‌आ बनेबाक विधि

मालपु‌आक घोरक लेल सामग्री : ४ लोकनिक लेल आनुपातिक मात्रानुसार २ कप मैदा, ३ कप दूध, २ टा केरा (मथल), २ टा चम्मच, नारियल (कद्दूकस कयल १० टा काजू बारीक काटल), १५ टा किशमिश, १ चम्मच सूजी, २ कप चीनी, ३ कप पा‌इन, ४ इला‌इची, १ कप घी ।

सभ सामग्रीक मिलाकऽ मलपु‌आक घोर तैयार कऽ ली । चीनी ओ पा‌इनकेँ मिलाकऽ चाशनी तैयार कऽ ली । आब एकटा बर्त्तनमे घी गरम कऽ ली आ पु‌आ तरि ली । आब एहि तरल भेल पु‌आकेँ प्लेटमे निकालि ली । परोसऽ सँ पहिने चाशनी केँ एक बेर आ‌ओर गरम कऽ ली ओ पु‌आकेँ चाशनीमे एक मिनटक लेल भींगय दि‌अऽ ओ गरमागरम परोसी ।

२. कड़ाही पनीर बनेबाक विधि

पनीर केँ लि‌अऽ, शिमला मिर्च केँ नाम - नाम पातर टुकड़ीमे काटि लि‌अऽ । प्याज, टमाटर, अदरक, नोन, लाल मिर्चक चूर्ण ओ नारंगी रंगकेँ एकहि संग मिलाकऽ मिक्सीमे पीसकऽ ‘पेस्ट’ तैयार कऽ लि‌अऽ । लौंग आ दालचीनी केँ मोट - मोट कूटि लि‌अऽ । एकटा पैनमे मक्खन गरम करी, आब एहिमे तेजपात लौंग ओ दालचीनी राखि दि‌अऽ ।

प्याज आ टमाटरक पेस्ट राखिकऽ धीमा आँच पर लगातार चलाबैत भूजि लि‌अऽ । आब एहिमे पनीरक टुकड़ा आ शिमला मिर्च डालिकऽ आँच धीमा पर पकऽ दि‌अऽ । जखन शिमला मिर्च गलि जाय उतारि लि‌आ नान वा पराठाक संग परोसी ।

मखानक कटलेट

विधि : मखानकेँ डेढ़ घंटा पा‌इनमे भिगो दि‌अऽ । फेर एकरा पा‌इन सँ निथरि कऽ, हाथसँ नीक तरहे मथि लि‌अऽ । उसनल आलूकेँ मथिकऽ मखान ओ सभटा सामग्री डालिकऽ नीक तरहे मिलाकऽ मनचाहा आकारमे कटलेट बना लि‌अऽ ।
५ लोकक लेल, आनुपातिक मात्रानुसार सामग्री : २५० ग्राम पनीर, ३ टा शिमला मिर्च, ४ टा प्याज, ४ टा टमाटर, १ इंचक टुकड़ा अदरक, १ टा चायवला चम्मच लाल मिर्च पा‌उडर, २ टा तेजपात, ४ टा लौंग, १ टुकडा दालचीनी, कनैक नारंगी रंग, ४ चायवला चम्मच घी वा मखान ।

३. भूजल मखानक कटलेट बनेबाक विधि

दू, गोटैक लेल अनुपातिक मात्रानुसार सामग्री : ५० ग्राम मखान, २ टा उसनल आलू, २ टा हरियर मिरचा‌इ, १ चाय चम्मच हरियर धनियाँ (बारीक कटल), १ चाय चम्मच पुदीना (बारीक कटल) नमक खाद्यानुसार, तरबाक लेल रिफा‌इन ऑयल ।

मखानकेँ डेढ घंटा पा‌इनमे भिजा दि‌अऽ । फेर एकरा पा‌इनसँ निथारि कऽ हाथसँ नीक तरहे मथि लि‌अऽ । उसनल आलू केँ मथिकऽ मनचाहा आकारमे कटलेट बना लि‌अ फ्रा‌इपैनमे तेल राखिकऽ गरम करी ओ कटलेट केँ सोहनगर होयबा धरि तरु । गरमागरम कटलेटकेँ हरियर चटनीक संग परोसी ।

४. लौकीक हलु‌आ बनेबाक विधि

६ गोटैक लेल आनुपातिक मात्रानुसार सामग्री : १ कि. ग्रा. लौकी, २५० ग्राम खोया, ५ ग्राम इला‌इची पा‌उडर, २५ ग्राम भीगल छिलल ओ कटल बादाम, २० ग्राम किशमिश ४०० ग्राम देशी घी ।

लौकी केँ छीलकऽ नीक तरहे धो लि‌अऽ । फेर कस लि‌अऽ । आब एकटा गहीर ओ भारी तलवला पैनमे लौकी आ चीनीकेँ एकसंग मिलाकऽ मध्यम आँच पर ताबैत पका‌उ जखन धरि पा‌इन सूखि नहि जाय । लगातार चलबैत पका‌उ । ध्यान राखू जे एतबो नहि सुखाय जे ओ पैनसँ सटिकय वा जरय लागय ।

आब खो‌आकेँ मथिकऽ डालू आ नीक तरहे मिला‌उ । फेर देशी घी ओ सभ मेवा डालिकऽ खूब नीक तरहे भूजू । आँच सऽ पर उतारिकऽ हल्का ठंढा करु ओ थारी मे पलटिकऽ उपरसँ इला‌इची पा‌उडर मिलाकऽ परोसी |