१. बिहार लोकसेवा आयोग मे मैथिली के १९७२ मे स्थान भेटल ।
२. मिथिलाक प्रथम ग्रेजुवेट विंध्यनाथ झा छलाह ।
३. मैथिली भाषाक प्रथम प्रदर्शित फ़िल्म ‘कन्यादान’ अछि ।
४. मिथिला केसरी बाबू जानकीनन्दन सिंह के कहल जा‌इछ छलन्हि ।
५. मैथिलाक प्रथम दैनिक ‘स्वदेश’ छल ।
६. सरकार द्वारा मैथिली भाषाक हेतु (कोनो तरहक) प्रथम पुरूस्कार ११५५ मे भारत सरकार, लोक साहित्य विभाग द्वारा ‘मधुप’ जी केँ ‘त्रिवेणी’ कविता सगंह पर ५०० टाकाक नगद पुरस्कारक रूप मे भेटल छलनि ।
७. मैथिलीमे प्रथम बाल पत्रिका ‘बटुक’ छल जे ११४१ मे प्रयाग सँ प्रकाशित भेल छल ।
८. मिथिला चित्रकलाक अनुपम संग्रह वला मिथिला संग्राहलय हासेगावा द्वारा जापान मे स्थापित भेल अछि ।
९. आकाशवाणी सँ प्रसारित होमय वला प्रथम मैथिली नाटक कुमार गंगानन्द सिंह लिखित ‘जीवन संघर्ष’ थीक ।
१०. मैथिली अकादमी (पटना) क स्थापना ११७६ मे भेल ।
११. मिथिला मे बाजय जायवला भाषा ‘मैथिली’ क लेल ‘मैथिली’ शब्दक प्रयोग सर्वप्रथम कोलब्रुक महोदय १८०१ मे कयलनि ।
१२. राँयल सोसा‌इटीक प्रथम भारतीय फ़ेलो डॉ शांतिस्वरुप भटनागर छलाह ।
१३. भारतक प्रथम महिला विमान चालिका सुषमा मुखोपाध्याय छथि ।
१४. इंडियन एयरला‌इंस विश्वक प्रथम नियमित वायुसेना अछि जे महिला पायलटक भर्ती केलक ।
१५. इंडियन एयरला‌इंस मे १९६६ मे प्रथम महिला पायलटक रुप मे भर्ती होमय वाली छलीह दूर्बा बनर्जी ।
१६. गुब्बारा (बैलून) मे उड़य वला प्रथम भारतीय रामचंद्र चटर्जी छलाह जे १०.०४.१८८१ के उडान भरने रहथि ।
१७. जमींदारी प्रथाक शुरु‌आत १२.०३.१८१३ के लार्ड कार्नवालिस द्वारा भेल छल ।

मिथिलेश कुमार झा
द्वारा : श्री विश्वनाथ झा
१५, हाजरा रोड, कोलकाता-७०००२६
साभार कर्णामृत