http://www.mithilavihar.com Maithili Manoranjan, Mithila Song, Mithila Video, Maithili Directory, Maithili Patrika, Maithili Magazine, Mithila Mahan Magazine

You need to upgrade your Flash Player to at
least version 7 to view this video content.

पग-पग    पोखरि   माछ    मखान,   
सरस    बोल    मुस्की    मुख   पान  ।
विद्या-वैभव        शान्ति        प्रतीक,  
सरितांचल  श्री  क्षेत्र  मिथिला  थिक॥
मिथिलाधाम
 » इतिहास » मिथिला : एक परिचय
Mithilavihar All Login Index
Mithilavihar All Login Index
  मिथिला : एक परिचय मिथिलाक राजा राज दरभंगा मिथिला अन्वेषण बौद्ध तत्व पंजी प्रबन्ध मिथिला दर्पण

इतिहास

मिथिला : एक परिचय

मिथिला प्राचीन भारत मे एकटा साम्राज्य छल । ई पूर्वी गंगा मैदान मे अवस्थित अछि, जे आब आधा सँ अधिक बिहार और ओकरा सँ जुड़ल नेपालक भाग अछि । रामायण महाकाव्यक अनुसार मिथिला विदेह साम्राज्यक राजधानी छल । एहि शहरक पहचान नेपालक धनुषा जिला मे आजुक जनकपुर सँ कएल गेल अछि । विदेहक देश कखनो-कखनो मिथिला कहल जाईत अछि, जहन कि ई राजधानी छल । ई ठीक ओहिना अछि जेना कि कोशल साम्राज्यक राजधानी अयोध्या छल, जे कोशलक तुलना मे बेसी प्रसिद्ध भेल ।

डी. डी. कोशाम्बीक अनुसार शतपथ ब्राह्मण कहैत अछि कि माधब विदेघ पर पुजारी गोतम राहुगण शासन केलनि, जे पहिल राजा छलाह, जे सदानीरा (संभवत: गंडक ) नदी कें पार कऽ साम्राज्यक स्थापना कयलनि । एतयक लोक शतपथ ब्राहमणक संकलनक समय मे विदेहक नाम सँ जानल जाईत छलाह । गोतम राहुगण एकटा वैदिक ऋषि छलाह जे ऋग्वेदक पहिल मंडलक कतेको श्लोकक रचना कयलनि । ई श्लोक ओ अछि, जाहि मे स्व- राज्यक प्रंशसा कयल गेल अछि, जे निर्विवाद रूप सँ विदेघ राज्य छल जे ध्वनि परिवर्तनक कारण बाद मे विदेह भऽ गेल । अत: माधव विदेघ निश्‍चित रूप सँ बहुत पहिने भऽ चुकल छलाह । ऋग्वेदक दशम मंडल मे काशिराज प्रातर्दन द्वारा रचित श्‍लोकक उल्लेख अछि । अत: मिथिला आ काशी ओहि भूभाग मे अवस्थित छल, जाहि मे ऋग्वेद कालक व्यक्ति रहैत छलाह । गोतम राहुगणक परवर्ती ऋषि लोकनि गौतम कहल गेलाह । एहने एकटा सन्यासी रामायण काल मे अहिल्या स्थानक नजदीक रहैत छलाह ।

मिथिलाक गाथा कतओक शताब्दी धरि पसरल अछि । ई कहल गेल अछि जे गौतम बुद्ध आ वर्धमान महावीर दुनू गोटे मिथिला मे रहल छलाह । ई प्रथम सहस्त्राब्दिक दौरान भारतीय इतिहासक केंद्र छल आ विभिन्न साहित्यिक आ धर्मग्रंथ संबंधी काज मे अपन योगदान देलक ।

मैथिली मिथिला मे बाजय जायवला भाषा थिक । भाषाविद मैथिली कें पूर्वी भारतीय भाषा मानलनि अछि आ एहि तरहें ई हिन्दी सँ भिन्न अछि । मैथिली कें पहिने हिन्दी आ बंगला दुनूक उप-भाषा मानल जाइत छल । वस्तुत: मैथिली आब भारतीय भाषा बनि चुकल अछि ।

मिथिलाक सभ सँ महत्वपूर्ण संदर्भ हिन्दू ग्रंथ रामायण मे अछि, जतए एहि भूमिक राजकुमारी सीता कें रामक पत्नी कहल गेल अछि । राजा जनक सीताक पिता छलाह, जे मिथिला पर जनकपुर सँ शासन केलनि । प्राचीन समय मे मिथिलाक अन्य प्रसिद्ध राजा भानुमठ, सतघुमन्य, सुचि, उर्जनामा, सतध्वज, कृत, अनजान, अरिस्नामी, श्रुतयू, सुपाश्यु, सुटयशु, श्रृनजय, शौरमाबि, एनेना, भीमरथ, सत्यरथ, उपांगु, उपगुप्त, स्वागत, स्नानंद, शुसुरथ, जय-विजय, क्रितु, सनी, विथ हस्या, द्ववाति, बहुलाश्‍व आदि भेलाह ।

’मिथिला, एहि क्षेत्र मे सृजित हिन्दू कलाक एक प्रकारक नाम सेहो थिक । ई विशेष कऽ वियाह सँ पूर्व महिला द्वारा घर के सजेबाक लेल घरक देबार आ सतह पर धार्मिक, ज्यामितीय आ चिहनांकित आकृति सँ शुरु भेल आ एहि क्षेत्र सँ बाहर एकरा नहि जानल जाइत छल । जहन एहि कलाक लेल कागजक शुरुआत भेल तँ महिला लोकनि अपन कलाकृति कें बेचय लगलीह आ कलाक विषय वस्तु कें लोकप्रिय आ स्थानीय देवताक संगहि प्रतिदिनक घटनाक चित्रांकन धरि विस्तृत केलीह । गंगा देवी संभवत: सब सँ प्रसिद्ध मिथिलाक कलाकार छथि । ओ परंपरागत धार्मिक मिथिला चित्रांकन, लोकप्रिय देवताक चित्रांकन, रामायण आ अपन जिनगीक घटना सँ दृश्यक चित्रांकन कयलनि ।

भौगोलिक सीमा आ जलवायु

मिथिला क्षेत्र गंगाक उत्तरी मैदान मे अछि । एहि क्षेत्रक मुख्य स्थान दरभंगा, मधुबनी, झंझारपुर, समस्तीपुर, मधेपुरा, बेगूसराय, सहरसा, सीतामढ़ी, जनकपुर आदि अछि । जनकपुर आब नेपालक क्षेत्र मे अछि । एहि क्षेत्रक जलवायु मुख्यत: शुष्क आ ठंढ़ा अछि । गर्मी मे तापमान ३५ सँ ४५ डिग्री सेल्सियस आ जाड़ मे ५ सँ १५ डिग्री सेल्सियस रहैत अछि । एतय घुमबाक लेल फ़रवरी - मार्च आ अक्तूबर- नवंबर सब सँ नीक अछि ।

एहिठामक माँटि खेतीक लेल उपयुक्त अछि, जे क्षेत्रक मुख्य आर्थिक आधार अछि । कृषिक लेल पर्याप्त वर्षा होइत अछि ।

एहि क्षेत्र मे प्रतिवर्ष बाढ़ि अबैत अछि, जाहि सँ एहिठामक लोकक जिनगी मे कठिन समस्या अबैत अछि आ करोड़ों रुपयाक नोकसान होइत अछि । एहिठामक लोकक लेल किछु व्यक्ति द्वारा विभिन्न नदी पर बाँधक जरुरतिक अनुभव कएल गेल अछि । किछु अन्य कें एहि बातक भय सेहो छनि जे भूकंप- प्रवण क्षेत्र मे वृहत बाँध वार्षिक बाढ़ि सँ बेसी खतरनाक होयत ।

अर्थव्यवस्था

खेती एहि क्षेत्रक मुख्य आर्थिक कार्यकलाप थिक । मुख्य फ़सल धान, गहूम, दालि, मकई, मुँग, उडद, राहड़ि आदि आ जूट (एकर उत्पादन मे कमी आयल अछि) अछि । आई- काल्हि देशक आन भागक तुलना मे खेती नीक नहि रहबाक कारणें, ई सब सँ अधिक पिछड़ल क्षेत्र भऽ गेल अछि । बाढि हर वर्ष फ़सलक पैघ भाग कें नाश कऽ दैत अछि । उद्योगक अनुपस्थिति, कमजोर शैक्षिक अवसंरचना आ राजनीतिक अपराधीकरणक कारणें अधिकांश युवक कें शिक्षा आ आमदनीक लेल स्थान परिवर्तन करय पड़ैत छनि । एहि परिवर्तनक उज्जवल पक्ष इ आछे जे ओ लोकनि भारतक प्रमुख क्षेत्र और स्थान मे महत्वपूर्ण भऽ गेलाह अछि ।

मिथिला पेंटिग आब बाजार मे हिस्सेदारी प्राप्त कयलक अछि । आब सरकार सेहो राष्ट्रीय धरोहरक रूप मे एकरा सहायता दऽ रहल अछि ।

व्यक्ति आ जीवन

ई भूभाग संस्कृति आ परंपरा मे धनी अछि । एतयक लोक अपन माता- पिताक आदर करैत छथि आ शांतिपूर्वक जीवन मे विश्‍वास रखैत छथि । ईश्‍वर पर अत्यधिक विश्‍वास करैत ओ सामान्यतया पैघ परिवार मे रहैत छथि । मुख्य सांस्कृतिक समारोह वियाह आ त्योहारक दौरान होइत अछि । फ़गुआ, दियावाती, दुर्गा पूजा, छठि, शिवराति, मधुश्रावणी (मुख्यत: नवविवाहित जोड़ा सँ संबंधित ) आ मोहर्रम धूमधाम सँ मनाओल जाइत अछि ।
एकटा छोट छीन फ़िल्म उद्योग सेहो अछि । मैथिली मे बनल अनेको फ़िल्म मे "सस्ता जिनगी महग सेनूर ", "ममता गाबय गीत" संभवत: अधिक जानल- मानल अछि । एहि भूभागक निवासी मैथिल कहबैत छथि ।

मूड़न मिथिलाक बहुत लोकप्रिय परंपरा अछि । मूड़न मे बच्चाक केश पहिल बेर काटल जाइत अछि । एहि मे भोजभात आ अन्य समारोह सेहो होइत अछि । कखनो- कखनो ई फ़िजूलखर्ची सेहो भऽ जा जाइत अछि । मिथिलाक सब सँ अपूर्व आ महत्वपूर्ण रिवाज एकर "वियाह" परंपरा अछि । एहि मे चतुर्थी सहित चारि दिनक वियाह समारोह, बरिसाइत, मधुश्रावणी, कोजगरा आ अंत मे दुरागमन (कनियाँक घर आयब) शामिल अछि । वियाह ब्राह्मण आ कर्ण- कायस्थक बीच वंश- विषयक सारिणी जे पंजी कहबैत अछि के प्रयोग कऽ कऽ परंपरागत रूप सँ निर्धारित कएल जाइत अछि ।

गोनू झाक खिस्सा पोता-पोती के सुनेबाक लेल दादीक लोकप्रिय खिस्सा अछि । मैथिली सुनबा आ बजबा मे एतेक मीठ आ कोमल अछि जे मैथिलक बीच गर्मागर्म बहसक अनुमान लगायब कठिन अछि ।

 

मिथिला
डा० शंकर कुमार मिश्र

वशिष्ठ द्वारा शापित मृत्यु के प्राप्त करय वला राजा निमि केँ शरीर के गंगासागर पर मथल गेल, ओहि सँ निकलल बालक के नाम मिथि पड़ल, आ हुनक राज्यक नाम मिथिला पड़ल । शतपथ ब्राह्मण केँ अनुसार राजा विदेथ माधव द्वारा गंडक किनार एक यज्ञ स्थल बनाओल गेल, जकर नाम मिथिला पड़ल आ पाछू राज्यक नाम मिथिला भेल ।

मिथिलाभी भवः मैथिल ः “मिथिला मे जन्म लेनिहार मैथिल भेलाह, वा मैथिली भाषा बाजनिहार मैथिल छथि ।
गंगा बहथि जनिक दक्षिण दिशि, पूर्व कौशिकी धारा,
पश्‍चिम बहथि गंडकी उत्तर हिमवत्‌ बल विस्तारा ।

मिथिलामे २५ जिला, ५० अनुमंडल १९९९ तक लगभग छल जाहि मे वृद्धि भेल हैत, ७२,३०० किमी० क्षेत्रफल, ४४ नदी, ६ हजार पोखड़ि, अनगिनत इनार । पाल० एस० व्रास लैगुएस, रिलीजन एण्ड पोलिटिकस इन नार्थ इंडिया, पृ० ६४ मे १९६१ मे जनसंख्या १६५६५,४७७ लिखने छथि, ग्रियर्सन १८९१ मे मैथिली भाषा-भाषी केँ जनसंख्या ९,३८९,३७६ निर्धारित कयलनि, तत्कालीन मुख्यमंत्री कर्पूरी ठाकुर पत्रांक ३ आर १-१०-१९६६, दिनांक २२-१२-७७ केँ तत्कालीन केन्द्रीय सरकार के विधिमंत्री शान्तिभूषण केँ लिखलनि जे अपना देश मे २ करोड़ सँ अधिक आ नेपाल मे ३० लाख सँ अधिक मैथिली भाषा-भाषी छथि । तैं जनसंख्या निर्धारित करब कठिन, कारण जतय सँ प्रवजन भारी मात्रा मे भेल ।

मैथिली केँ क्षति जते अपन लोक कएलक ओते दोसर नहिं । १९१४ मे भागलपुर हिन्दी साहित्य सम्मेलन मे गिरीन्द्र मोहन मिश्र प्रस्ताव देलनि जे बिहार प्रान्तक मातृभाषा हिन्दी थीक, तैं प्राथमिक शिक्षाक माध्यम हिन्दी हो, जिनका मैथिली पुस्तक पर साहित्य अकादमी पुरस्कार सेहो भेटलनि । राष्ट्रीय आन्दोलनक समय मे अखिल भारतीय स्तर पर भावात्मक एकता बढ़यबाक दृष्टि सँ मैथिली भाषी सब मिथिलाक्षर वा तिरहुताक्षर कें स्थान मे देवनागरी स्वीकार कयलनि । बिहार मे विनोदानंद झा, भोला पासवान शास्त्री, कर्पूरी ठाकुर, विन्देश्‍वरी प्रसाद मंडल, सतीश प्रसाद सिंह, डा० जगन्नाथ मिश्र मैथिली भाषा-भाषी मुख्यमंत्री भेलाह, किन्तु ओ सभ संविधानक आठम सूची मे मैथिली केँ स्थान नहिं दिया सकलाह । फलतः बिहार मे एतेक संख्या रहबाक बावजूद मातृभाषा नहि मानल गेल । तत्कालीन मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव सेहो लिखलनि कि १९९०-९१ केँ जनगणना के अनुसार बिहार मे भोजपुरी, आदिवासी, मगही भाषा- साहित्य कें छोड़ि कऽ आयोगक परीक्षा मे मैथिली ऐच्छिक भाषाक रूप मे राखब उचित नहिं आ बिहार लोक सेवा आयोग सँ मैथिली जे ऐच्छिक विषय के रूप मे छल, से हटा देल गेल । (बिहार सरकार के कार्मिक एवं प्रशासनिक सुधार विभागक ज्ञापांक १३४२, दिनांक २९ फरवरी, १९९२) ।

जखन एस० के० चटर्जी ओरिजिन एण्ड डेवलपमेन्ट ऑफ बंगाली लैंग्वेज नामक पोथी मे लिखलनि “मैथिली भारत की स्वतंत्र एवं समुन्‍नत भाषा है ।" ज्योतिरीश्‍वरक १२८०-१३४० ई० मे वर्णरत्‍नाकर एवं मैथिली धूर्त समागम उत्तर भारतक सब आधुनिक आर्यभाषाक सर्वप्रथम ग्रन्थ एवं नाट्‍य कृति मानल जाइछ । महाकवि विद्यापतिक (१३५०-१४४०) रचना कालजयी साहित्यिक रचना मानल जाइछ । महर्षि अरविन्द मैथिली गीतक अनुवाद कयलनि, युनेस्को हिनक गीतक अनुवाद प्रकाशित कयलक । विश्‍वप्रसिद्ध कुमार स्वामी हिनक गीतक भावचित्र बनाय गीत एवं चित्रक प्रकाशन कयलनि, गौरांगस्वामीक रचना हिनका सँ प्रभावित छल, नहिं जानि कतेक भाषा मे हिनक गीतक अनुवाद भेल । दिल्ली मे मैथिली पुस्तक एवं पांडुलिपि देखि तत्कालीन प्रधान मंत्री पं० जवाहर लाल नेहरू विजिटर्स बुक मे लिखलनि “MaithilI has been for a long time and is today a living language among the people of the area. The language deserves encouragement ". अंतर्राष्ट्रीय साहित्यकार एवं बुद्धिजीविक संस्था P.E.N. (Play Wrights, Essayists, Editors, Nanvelists) में मैथिली साहित्यकार स्थान पवैत छथि । यू०जी०सी० द्वारा कनीय एवं वरिष्ठ अनुसंधान छात्रवृत्ति मैथिली मे देल जाइछ, व्याख्याता पदक अर्हताक लेल प्रतियोगिता परीक्षा मे एकर स्थान अछि, नेपालक द्वितीय भाषा मैथिली अछि, तथापि संविधानक अष्टम सूची मे ई स्थान एकरा बहुत समय बाद भेटलैक, ई दुःखक गप ।

हम सब मैथिल जतय कतहुँ होइ, आ समस्त मैथिलक संस्था केन्द्रीयभूत भय प्रयास करत, तखनहिं सफलता भेटि सकैछ । ताहि मे पंजी-व्यवस्था एवं सभा सहायक सिद्ध हैत, जतय विचार विमर्श कय समस्याक निराकरण कयल जा सकैछ ।

मिथिलाक विभूति न्यायसूत्र प्रणेता गौतम, वैशेषिक दर्शनक जनक कणाद्‌, मीमांसा प्रणेता जैमिनी, सांख्य दर्शनक संस्थापक कपिल, विदेह जनक, याज्ञवल्क्य, गंगेश उपाध्याय, वाचस्पति, विद्यापति, कालिदास, लक्ष्मीनाथ गोसाइं, शिवसिंह, नान्यदेव, उदयनाचार्य, गोविन्ददास, बहुरागोढ़िन, अयाची, चंदा झा, लालदास, बच्चा झा आदि प्रभृतिक आत्मा कचोटि रहल छनि जे ऐतिहासिक एवं पौराणिक स्थल-जनकपुर धाम, वलिराजगढ़, परसाधाम, सखड़ा (नेपाल), सौराठ, कपिलेश्‍वर-स्थान, उच्चैठ, विस्फी, विदेश्‍वर-स्थान, उगना-स्थान, डोकहर, बाल्मीकि आश्रम, कलनेश्‍वर-स्थान, गिरिजा-स्थान, दक्षिणेश्‍वर हनुमान, पुनौरा, हलेश्‍वर-स्थान, गोरहौल शरीफ, महिष्मती (महिषी), सिंहेश्‍वर-स्थान, अहिल्या-स्थान, बोधायन, विद्यापति नगर, मंगलागढ़, नौलागढ़, सिमरिया घाट एवं अन्य अनेक प्राचीन गौरवमय स्थानक दर्शन कय मैथिल गौरवान्वित भय एकरा आगू बढ़यबाक प्रयास करथि, जाहि सँ मिथिला, मैथिल, मैथिलीक विकास होय ।

This space is Booking for Advertisment
 Mithilavihar.com for copywrite

© 2007
मिथिलाविहार.कॉम.