Mithilavihar All Login Index

You need to upgrade your Flash Player to at
least version 7 to view this video content.

पग-पग    पोखरि   माछ    मखान,   
सरस    बोल    मुस्की    मुख   पान  ।
विद्या-वैभव        शान्ति        प्रतीक,  
सरितांचल  श्री  क्षेत्र  मिथिला  थिक॥
फेम-मिथिला
 » कलाकार »  उदित नारायण झा
Mithilavihar All Login Index

फ़िल्मी हस्ती

उदित नारायण झा

उदित नारायण पाश्‍अर्व गायक राजा छथि । हुनक जन्म भरदव, नेपाल मे भेल छल । हुनक पिता कृस्णा झा एकटा किसान छलाह । हुनक माताक नाम भुवनेश्‍वरी देवी छल । हुनक शिक्षा कुनौलि बाजार (सहरसा ) मे भेल, जतय सँ ओ १०वी पास केलनि आ ओ इंटरमीडिएटक शिक्षा रत्न लक्ष्मी कैंपस (काठमांडु) सँ प्राप्त केलनि ।

उदित नारायण अपन जीविकाक श्रूआत काठमांडु रेडियो स्टॆशन सँ शुरू केलनि, जतए ओ मैथिली आ नेपाली लोकगीत गबैत छलाह । ओ काठमांडु रेडियो मे ८ वर्ष धरि काज केलनि आ मुम्बईक प्रतिस्ठित स्कूल मे शास्त्रीय संगीतक अध्ययनक लेल १९७८ मे मुम्बई एलाह । तथापि हिनका तुरंत सफ़लता नहि भेटल । पर्याप्त मेहनतिक बाद १९८८ मे ओ गीत गेलाह । एहि सँ पूर्व ओ कतेको संगीत निर्देशक सभक चक्‍कर कटलाह आ सर्वप्रथम हुनका फ़िल्म उन्नीस बीस मे १९८० मे काज करबाक मौका लागल । कयामत से कयामत तक मे गीत गेलाक बाद ओ सफ़ल गायक भऽ गेलाह । तत्पश्‍चात ओ कतेको फ़िल्म मे जेना दिल, जो जीत वहीं सिकन्दर, बेटा, लाडला, डर, दिलवाले दुलहनियाँ ले जाएंगे, दिल से आदि मे गीत गेलाह । हुनक गाओल गीत मे " पहला नशा----," कोयल सी तेरी बोली---," " लडकी है क्या---," जादू तेरी नजर ---," " तू मेरे सामने---," "मेहन्दी लगा के रखना---," " न जाने मेरे दिल को क्या हो गया---," आदि प्रमुख अछि । ओ अजय देवगण, गोविन्दा, सैफ़ अली खान, सलमान खान आदि लेल सेहो गीत गेलनि ।
ओ दीपा नारायण सँ वियाह केलनि आ हुनक पुत्रक नाम अदित्य नारायण अछि । ओ भारत अनेको भाषाक फ़िल्मक लेल गीत गेलनि आ नेपाली फ़िल्म " कुसुमय रूमाल और पीराति " मे अभिनय सेहो केलनि ।
हुनक किछु प्राइवेट अलबम सेहो अछि, जेना भजन संगम, दीवाना, भजन वाटिका, ये दोस्ती , झुमका दे झुमका, माँ तारिणी आदि । उदित नारायण भारत सहित अमेरिका, कनाडा, वेस्ट-इंडिस, यू० के०, दक्षिण अफ़्रीका का कतेको यूरोपीय
देश मे लगभग १०५० स्टेज २ मे केलनि । हुनका कतेको सम्मान आ पुरूस्कार भेटल , जेकर सूची एना अछि :-

पुरूस्कार वर्ष गीत फ़िल्म

•  फ़िल्म फ़ेयर पुरस्कार १९८८ पापा कहते है-- कयामत से कयामत तक

•  "१९९५ मेहन्दी लगा के रखना--- दिलवाले दुलहनियाँ ले---

•  "१९९६ परदेशी, परदेशी जाना नहि---राजा हिदुस्तानी

•  "१९९९ चाँद छुपा बादल में---हम दिल दे चुके सनम

•  "२००१ सुन मितवा--- लगान

•  रास्ट्रीय पुरस्कार २००१-०२ " "

•  "२००२-०३ छोटे-छोटे सपने--- जिन्दगी खुबसूरत है

•  "२००५ ये तारा वो तारा--- स्वदेश"

This space is Booking for Advertisment
 Mithilavihar.com for copywrite

© 2007
मिथिलाविहार.कॉम.