http://www.mithilavihar.com Maithili Manoranjan, Mithila Song, Mithila Video, Maithili Directory, Maithili Patrika, Maithili Magazine, Mithila Mahan Magazine

You need to upgrade your Flash Player to at
least version 7 to view this video content.

पग-पग    पोखरि   माछ    मखान,   
सरस    बोल    मुस्की    मुख   पान  ।
विद्या-वैभव        शान्ति        प्रतीक,  
सरितांचल  श्री  क्षेत्र  मिथिला  थिक॥
फेम-मिथिला
 » पुरस्कृत रचना » साहित्य अकादेमी पुरस्कार
Mithilavihar All Login Index
Mithilavihar All Login Index
  साहित्य अकादेमी पुरस्कार प्रबोध साहित्य सम्मान

साहित्य अकादेमी पुरस्कार : पोथी आ’ अनुवाद

डा० धीरेन्द्र नाथ मिश्र


वि०वि० प्राचार्य मैथिली विभाग, सी०एम० कॉलेज, दरभंगा (बिहार)

साहित्य अकादेमी मे मैथिलीक मान्यता-प्राप्ति सँ लऽ एखन पर्यन्त अनेको विद्वान केँ विभिन्‍न विधा मे रचित पोथी पर एकर पुरस्कार सँ सम्मानित कएल जा चुकल अछि । एहि क्रम मे सर्जनात्मक रचना सँ लए अन्य भाषाक पोथीक मैथिली मे सेहो अनुवाद भेल अछि, जाहि पर पुरस्कार देल जा चुकल अछि । एतबे नहि, मैथिलीक पुरस्कृत कतोक पोथीक अन्यान्य भाषा मे सेहो अनुवाद भए चुकल अछि, जकर सभक यथासंभव उपलब्ध सूची एतय प्रस्तुत कए रहल छी, जे द्रष्टव्य थिक निम्न प्रकारेँ :-


वर्ष पुरस्कृत पोथी विधा रचनाकार
१९६६ मिथिला-वैभव दर्शन यशोधर झा
१९६८ पत्रहीन नग्न गाछ कविता वैद्यनाथ मिश्र ‘यात्री’
१९६९ राधा-विरह दर्शन काशीकान्त मिश्र ‘मधुप’
१९७० पुरस्कृत पोथी विधा रचनाकार
१९७१ पयस्विनी कविता सुरेन्द्र झा ‘सुमन’
१९७३ नैका बनिजारा उपन्यास ब्रजकिशोर वर्मा ‘मणिपद्म’
१९७५ किछु देखल किछु सुनल संस्मरण गिरीन्द्र मोहन मिश्र
१९७६ सीतायन महाकाव्य वैद्यनाथ मल्लिक ‘विधु’
१९७७ अवहट्ट : उद्‍भव ओ विकास आलोचना राजेश्‍वर झा (मरणोपरान्त)
१९७८ बाजि उठल मुरली कविता उपेन्द्र ठाकुर ‘मोहन’
१९७९ कृष्णचरित महाकाव्य तंत्रनाथ झा
१९८० ई बतहा संसार उपन्यास सुधांशु शेखर चौधरी
१९८१ अगस्त्यायिनी महाकाव्य मार्कण्डेय प्रवासी
१९८२ मरीचिका उपन्यास लिली रे
१९८३ पत्रकारिताक इतिहास आलोचना चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’
१९८४ सूर्यमुखी कविता आरसी प्रसाद सिंह
१९८५ जीवन-यात्रा आत्मकथा हरिमोहन झा (मरणोपरान्त)
१९८६ नातिक पत्रक उत्तर निबंध सुभद्र झा
१९८७ अतीत कथा उमानाथ झा
१९८८ मंत्रपुत्र उपन्यास मायानन्द मिश्र
१९८९ पराशर महाकाव्य कांचीनाथ झा ‘किरण’ (मरणोपरान्त)
१९९० प्रभासक कथा कथा प्रभास कुमार चौधरी
१९९१ पसिझैत पाथर एकांकी रामदेव झा
१९९२ विविधा निबंध-संग्रह भीमनाथ झा
१९९३ सामाक पौती कथा गोविन्द झा
१९९४ उचितवक्‍ता कथा गंगेश गुंजन
१९९५ कविता कुसुमांजलि कविता जयमन्त मिश्र
१९९६ आइ काल्हि परसू कथा राजमोहन झा
१९९७ ध्वस्त होइत शान्ति स्तूप कविता कीर्त्तिनारायण मिश्र
१९९८ तकैत अछि चिड़ै कविता जीवकान्त
१९९९ गणनायक कथा साकेतानन्द
२००१ प्रतिज्ञा पाण्डव महाकाव्य बबुआजी झा ‘अज्ञात’ (मरणोपरान्त)
२००२ सहसमुखी चौक पर कविता सोमदेव
२००३ ऋतम्भरा कथा नीरजा रेणु
२००४ शकुन्तला महाकाव्य चन्द्रभानु सिंह
२००५ चानन घन गछिया कविता विवेकानन्द ठाकुर
२००६ काठक लोक कथा विभूति आनन्द
२००७ सरोकार कथा प्रदीप बिहारी
२००८ कतेक डारि पर आत्मकथा डॉ. मंत्रेश्वर झा
This space is Booking for Advertisment
वर्ष पुरस्कृत पोथी मूल लेखक मूलभाषा अनुवादक
१९९१ शरदचन्द्र : व्यक्‍ति आ कलाकार (जीवनी) सुबोधचन्द्रसेन अंग्रेजी शैलेन्द्र मोहन झा
१९९३ नेपाली साहित्यक इतिहास कुमार प्रधान अंग्रेजी गोविन्द झा
१९९४ सगाइ (उपन्यास) राजिन्द्र सिंह बेदी उर्दू रामदेव झा
१९९५ रविन्द्र नाटकावली रवीन्द्रनाथ टैगोर बंगला सुरेन्द्र झा ‘सुमन’
१९९६ अबुल कलाम आजाद (जीवनी) अब्दुलकवी देसनवी उर्दू फजलुर रहमान हासमी
१९९७ माटि मंगल (उपन्यास) शिवराम कारंत कन्‍नड़ नवीन चौधरी
१९९८ परशुरामक बीछल बेरायल कथा राजशेखर बसु बंगला श्रीचन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’
१९९९ आरोग्य निकेतन (उपन्यास) विभूति भूषण बन्धोपाध्याय बंगला मुरारि मधुसूदन ठाकुर
२००० तमस (उपन्यास) भीष्म साहनी हिन्दी अमरेश पाठक
२००१ अन्तरिक्षमे विस्फोट जयन्त विष्णु नार्लीकर मराठी सुरेश्‍वर झा
२००२ पतझड़क स्वर (उपन्यास) कुर्रतुल-एन-हैदर उर्दू प्रबोध नारायण सिंह
२००३ मनोजदासक कथा ओ कहिनी (कथा) मनोजदास उड़िया उपेन्द्र दोषी
२००४ प्रेमचन्द्र : चयनित कथा (भाग-१) प्रेमचन्दहिन्दीप्रफुल्ल कुमार सिंह ‘मौन’
२००५ बिहारक लोक कथा-१ आर०के०नारायण अंग्रेजीयोगानन्द झा

साहित्य अकादमी द्वारा जाहि पोथीक अनुवाद मैथिली सँ अन्य भाषा मे भेल अछि से निम्न प्रकारें देखल जा सकैछ :-


(१) पत्रहीन नग्न गाछ : एहि पोथीक अनुवाद हिन्दी भाषा मे आचार्य सोमदेव एवं श्री शोभाकान्त द्वारा भेल अछि ।
(२) दू पत्र : ई उपन्यास व्यासजी द्वारा लिखित ओ साहित्य अकादमी द्वारा पुरस्कृत थीक । एकर अनुवाद हिन्दी मे उपन्यासकार स्वयं कएने छथि ।


(३) नैका बनिजारा : ई मणिपद्मक उपन्यास थीक, जाहि पर हिनका साहित्य अकादमी पुरस्कृत कएलकन्हि । एकर हिन्दी अनुवाद साहित्य अकादमी सँ पुरस्कृत विद्वान डॉ० गंगेश गुंजन द्वारा भेल अछि ।


(४) मंत्रपुत्र : ‘मंत्रपुत्र’ प्रो० मायानन्द मिश्रक औपन्यासिक कृति थीक जाहि पर ई साहित्य अकादमीक पुरस्कार सँ सम्मानित भए चुकल छथि आ ‘एकर अनुवाद ई हिन्दी मे कएने छथि, जे राजकमल प्रकाशन द्वारा प्रकाशित भए चुकल अछि ।


(५) तकैत अछि चिड़ै : ई कविता विधा मे जीवकान्त द्वारा रचित पोथी थीक, जकर अनुवाद हिन्दी मे केदार कानन द्वारा भेल अछि आ साहित्य अकादमिये सँ प्रकाशित भेल अछि । ध्यातव्य, जे इहो साहित्य अकादमी द्वारा पुरस्कृत पोथी थीक ।
(६) ई बतहा संसार : ई बतहा संसार’ स्व० सुधांशु शेखर चौधरीक उपन्यास-विधाक कृति थीक । एहि पर ई साहित्य अकादमी पुरस्कार सँ सम्मानित भए चुकल छथि जकर अनुवाद डॉ० प्रेमशंकर सिंह हिन्दी मे कएने छथि आ साहित्य अकादमिये एकरा प्रकाशित सेहो कएने अछि । एतदतिरिक्‍त सूचना अछि जे पं० चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’क पुरस्कृत कृति ‘मैथिली पत्रकारिताक इतिहास’ एवं डॉ० रामदेव झाक साहित्य अकादमी सँ पुरस्कृत नाट्‍य-कृति ‘पसिझैत पाथर’ सेहो अनूदित भए रहल अछि ।

इहो संभव थीक जे एहि सूचीक अतिरिक्‍तो कोनो पुरस्कृत पोथी हो जकर अनुवाद होइत हो, परंच से हमरा जानकारी मे नहि अछि, तेँ तकर उल्लेख करब संभवे नहि ।
सम्पर्क : बैंक कॉलोनी, धर्मपुर
पो० : लक्ष्मीनगर, जिला : दरभंगा (बिहार)

 

 Mithilavihar.com for copywrite

© 2007
मिथिलाविहार.कॉम.